मधुबनी : कहियो वीडियो क्लैप पकड़ैबला नेना आइ कोना बनल एकटा सफल अभिनेता - Live Aaryaavart (लाईव आर्यावर्त)

Breaking

प्रबिसि नगर कीजै सब काजा । हृदय राखि कौशलपुर राजा।। -- मंगल भवन अमंगल हारी। द्रवहु सुदसरथ अजिर बिहारी ।। -- सब नर करहिं परस्पर प्रीति । चलहिं स्वधर्म निरत श्रुतिनीति ।। -- तेहि अवसर सुनि शिव धनु भंगा । आयउ भृगुकुल कमल पतंगा।। -- राजिव नयन धरैधनु सायक । भगत विपत्ति भंजनु सुखदायक।। -- अनुचित बहुत कहेउं अग्याता । छमहु क्षमा मंदिर दोउ भ्राता।। -- हरि अनन्त हरि कथा अनन्ता। कहहि सुनहि बहुविधि सब संता। -- साधक नाम जपहिं लय लाएं। होहिं सिद्ध अनिमादिक पाएं।। -- अतिथि पूज्य प्रियतम पुरारि के । कामद धन दारिद्र दवारिके।।

बुधवार, 29 मार्च 2023

मधुबनी : कहियो वीडियो क्लैप पकड़ैबला नेना आइ कोना बनल एकटा सफल अभिनेता

  • नेनपने सँ छल अभिनय सँ रुचि, चुनौती केँ स्वीकार कयलाक बाद भेटल सफलता

Maithili-actor-tushar-jha
मधुबनी : अभिनेता तुषार झाक चर्चा आइ-काल्हि खूब भ’ रहल अछि। तुषार आइ-काल्हि मैथिली फीचर फिल्म ‘विद्यापति’क शूटिंग मे व्यस्त छथि। पेशा सँ इंजीनियर तुषार कहैत छथि जे ई हमरा लेल एकटा चुनौतीपूर्ण काज अछि। कवि कोकिल विद्यापति बहुआयामी व्यक्तित्वक मालिक छलाह आ प्राय: इएह कारण अछि जे विद्यापति आइ मिथिलाक आइकॉन छथि। हमरा लेल ई एकटा गौरवपूर्ण क्षण अछि। आ इएह कारण अछि जे हम एहि चुनौतीपूर्ण काज केँ सहजता सँ स्वीकार कयलहुँ आ अखन विद्यापतिक भूमिका मे रमल छी आ डूबल छी। हमरा आशा आ विश्वास अछि जे एहि फिल्म मे हमर अभिनय दमदार होयत जे दर्शक लोकनि केँ सहजहिं पसंद अयतनि। तुषार झाक ई दोसर मैथिली फिल्म अछि। एहि सँ पहिने श्री झा मैथिली फीचर फिल्म ‘बबितिया’ मे अभिनेताक भूमिका मे नजरि आबि चुकल छथि। एहि फिल्म मे सेहो हुनकर भूमिका केँ खूब सराहल गेल छल। फिल्म ‘बबितिया’ सँ जुड़ल एकटा रुचिगर खिस्सा निर्माता सुनील झा बतबैत छथि। ओ कहैत छथि जे ‘बबितिया’क शूटिंग शुरू भ’ गेल छल आ संभावित हीरो अनुपस्थित रहथि। बहुत प्रतीक्षा कयलाक बादो जहन ओ अभिनेता नहि अयला त’ तुषार एहि चुनौती केँ स्वीकार कयलनि। ई फिल्म सफल रहल आ अभियंता तुषारक पहिचान अभिनेता तुषारक रूप मे भ’ गेलनि। एहि फिल्मक निर्माता-निर्देशक सुनील कुमार झा कहैत जे फिल्म मे तुषारक अभिनय एतेक सफल रहल जे हमरा सभ केँ कखनो कोनो नामी-गामी अभिनेताक कमीक अनुभव नहि भेल।

Maithili-actor-tushar-jha
आखिर अभिनेता तुषार मे ई गुण अयलनि कोना? एहि प्रश्नक उत्तर दैत सुनील कुमार झा कहैत छथि जे तुषार मे एकर गुण नेनपने सँ रहनि। जानकी फिल्म्स केर बैनर मे पहिनहुँ बहुत रास काज सभ भेल अछि। सन 2000 मे एहि बैनर सँ मैथिलीक पहिल वीडियो अलबम ‘हे गै ललमुनिया’क शूटिंग भेल छल। एहि वीडियो अलबम मे सुरेंद्र मंडल आ कुंजबिहारीक स्वर अछि। जहनकि एकर गीतकार छथि श्याम बिहारी राय सरस। एहि वीडियो अलबमक निर्देशन श्याम भास्कर कयने रहथि। एहि समाचारक संग जे फोटो संलग्न अछि, ओकर लाल घेरा मे वीडियो क्लैप पकड़ने जे नेना नजरि आबि रहल अछि, ओ नेना आर केओ नहि, आजुक अभिनेता तुषार झा छथि। मैथिली पोथी पत्रिका के भारत के विभिन्न शहर मे प्रदर्शन प्रसारण करैत रहला अछि,दिल्ली मे तऽ सहजहिं कैयक बेर मैथिली पोथी स्टाल पर देखाति रहला अछि,,,! अभिनेता तुषार झा कहैत छथि जे सिनेमाक क्षेत्र मे अयबाक रुचि हमरा अहिना भेल। बहुत रास कलाकारक संग-साथ रहबाक अवसर भेटल आ अभिनयक प्रति हमर दृष्टिकोण आर फरिच्छ होइत गेल। मैथिलीक विकास मे तुषार झाक परिवारक महत्वपूर्ण योगदान अछि। तुषारक परिवारक बहुत रास लोक साहित्य, कला आ संस्कृतिक क्षेत्र मे आइ महत्वपूर्ण काज सभ क’ रहल छथि। निर्माता सुनील कुमार झा कहैत छथि जे हमरा गर्व अछि जे हमर अगिला पीढ़ी मैथिली फिल्म सँ जुड़ल अछि। हमरा विश्वास अछि जे हमर अगिला पीढ़ी मैथिली सिनेमा केँ एकटा नव विस्तार देत।  

कोई टिप्पणी नहीं: