मैथिली में लोरी ! - Live Aaryaavart (लाईव आर्यावर्त)

Breaking

प्रबिसि नगर कीजै सब काजा । हृदय राखि कौशलपुर राजा।। -- मंगल भवन अमंगल हारी। द्रवहु सुदसरथ अजिर बिहारी ।। -- सब नर करहिं परस्पर प्रीति । चलहिं स्वधर्म निरत श्रुतिनीति ।। -- तेहि अवसर सुनि शिव धनु भंगा । आयउ भृगुकुल कमल पतंगा।। -- राजिव नयन धरैधनु सायक । भगत विपत्ति भंजनु सुखदायक।। -- अनुचित बहुत कहेउं अग्याता । छमहु क्षमा मंदिर दोउ भ्राता।। -- हरि अनन्त हरि कथा अनन्ता। कहहि सुनहि बहुविधि सब संता। -- साधक नाम जपहिं लय लाएं। होहिं सिद्ध अनिमादिक पाएं।। -- अतिथि पूज्य प्रियतम पुरारि के । कामद धन दारिद्र दवारिके।।


बुधवार, 6 जनवरी 2010

मैथिली में लोरी !



तोरे लेल अनलहुँ हाथी घोड़ा ,
कनिया पुतराक जोड़ा ,
हमर बौआ, हमर बेटा,
बेटा दुलरुआ.... ।


चम चम चम चम, छम छम छम छम,
एतय निनियाँ रानी,
कोरा मे लs कs झुला झुलौतै,
चानक भरल जुआनी।
तोरे लेल अनलहुँ चान सन मामा,
नभ केर सबटा तारा,
हे रे बौआ, हे रे बेटा, बेटा दुलरुआ .....।


खट खट खट खट लाठी लs क s
एथिन्ह बुढ़िया नानी ,
नानीक कोरा मे, बैसि कs सुनतै,
रामक अमर कहानी।
तोरे लेल अनलहुँ सीता मैया,
राम लखन सन जोड़ा,
हे रे बौआ हे रे बेटा, बेटा दुलरुआ.... ।


पढ़तय लिखतय बढ़तय उड़तय,
उड़य छय जेना आँधी ,
देशक नाम खूब बढौतय,
बनतय नेहरू गांधी।
तोरे लेल अनलहुँ तिरंगा झंडा,
माँ भारत केर नक्शा,
हे रे बौआ हमर बेटा बेटा दुलरुआ..... ।


-लल्लन प्रसाद ठाकुर-

कोई टिप्पणी नहीं: